𑒧 मिथिला लिपि परिवर्तक

मैथिली भाषा आ तिरहुता लिपिक डिजिटल सहयोग

हमर परिचय

मिथिला लिपि परिवर्तक मैथिली भाषा आ तिरहुता लिपिक डिजिटल उपयोगकेँ सहज बनेबाक एकटा प्रयास अछि।

Roshan Choudhary, founder of Mithila Lipi Converter

संस्थापकक सन्देश

Roshan Choudhary
संस्थापक आ निर्माता

हमर मान्यता अछि जे प्रत्येक व्यक्ति अपन भाषा आ अपन लिपिमे लिखि सकय। एहि सोचक संग मैथिली लेल सेहो तिरहुता लिपिमे टाइपिंग आ रूपान्तरणक सुविधा उपलब्ध करयबाक निश्चय कयलहुँ, आ आइ ई वेबसाइट ओहि प्रयासक परिणाम अछि। अपन मातृभाषाक लिपिमे लिखबाक लेल उपयोगी डिजिटल साधन उपलब्ध हो, एहि कमीकेँ कम करबाक ई एकटा प्रयास अछि। मुदा वास्तविक कमी तखन पूरा होयत, जखन मैथिल सभकेँ अपन भाषा आ लिपिमे शिक्षा आ रोजगार दुनू सहजतासँ उपलब्ध होयत। संगहि Google, Microsoft, Apple, Linux आ अन्य ऑपरेटिंग सिस्टम तथा सेवा प्रदातासभ मैथिली आ मिथिलाक्षरकेँ डिफॉल्ट रूपेँ देखबाक आ लिखबाक सुविधा देथि। ताबे धरि समुदाय, डेवलपर आ तकनीकी संस्थासभक सहयोग आवश्यक अछि।

वेबसाइटक उपयोग कोना करी?

  1. परिवर्तक पेज खोलू आ इनपुट बॉक्समे देवनागरी वा Roman phonetic टाइप करू।
  2. रूपान्तरणक दिशा चुनू—देवनागरी सँ तिरहुता वा तिरहुता सँ देवनागरी।
  3. स्वचालित रूपान्तरण चालू राखू वा परिवर्तित करबाक बटन दबाउ।
  4. परिणाम कॉपी करू; जरूरत अनुसार TXT, PDF वा इमेज डाउनलोडक विकल्प उपयोग करू।
  5. Unicode Chart सँ अक्षर देखू/कॉपी करू आ Help पेज पर Roman typing उदाहरण देखू।
  6. फॉन्ट चयन उपलब्ध विकल्पमे बदलि सकैत छी। अक्षरक प्रदर्शन डिवाइस, ब्राउजर आ फॉन्ट पर निर्भर कऽ सकैत अछि।

हमर उद्देश्य

मैथिली भाषा आ तिरहुता लिपिक डिजिटल संरक्षण, उपयोग आ पहुँच बढ़ेनाइ। ई वेबसाइट एकटा सामुदायिक तकनीकी प्रयास अछि; ई शिक्षा वा रोजगारमे मातृभाषाक सहज उपलब्धताक विकल्प नहि, बल्कि ओहि दिस एकटा कदम अछि।