सहायता: जे शब्द चाही, से लिखू
ई गाइड converter के वास्तविक उपयोग पर आधारित अछि। खोज बॉक्स में अक्षर, मात्रा, चिह्न या शब्द लिखू। कठिन शब्द लेल phonetic typing, सुझाव, दिशा बदलनाइ आ मैनुअल सुधार के तरीका एतय भेटत।
1. रूपान्तरण शुरू कोना करी?
- Converter खोलू।
- दिशा चुनू: देवनागरी → तिरहुता अथवा तिरहुता → देवनागरी।
- इनपुट बॉक्स में पाठ लिखू या paste करू। स्वचालित मोड चालू होय तऽ आउटपुट तुरन्त देखाएत।
- सुझाव देखाइ तऽ सही विकल्प पर क्लिक करू। आउटपुट पढ़ि कऽ जाँचू।
2. Roman सँ तिरहुता: की टाइप करी?
Converter में दिशा देवनागरी → तिरहुता चुनू। इनपुट बॉक्स में नीचाँ देल Roman spelling टाइप करू। बीचक देवनागरी रूप आ तिरहुता रूप उदाहरण लेल अछि; font समर्थन अनुसार तिरहुता अक्षर देखाइत। Roman spelling एकटा सहायक तरीका अछि—शब्द के मात्रा/उच्चारण जाँचि लिअ।
| Roman में टाइप करू | देवनागरी | तिरहुता |
|---|---|---|
| maithili | मैथिलि | 𑒧𑒹𑒟𑒱𑒪𑒱 |
| mithila | मिथिल | 𑒧𑒱𑒟𑒱𑒪 |
| ham | हम | 𑒯𑒧 |
| ahan | अहन | 𑒁𑒯𑒢 |
| namaste | नमस्ते | 𑒢𑒧𑒮𑓂𑒞𑒹 |
| ksh | क्ष | 𑒏𑓂𑒭 |
| shr | श्र | 𑒬𑓂𑒩 |
| gya | ज्ञ | 𑒖𑓂𑒘 |
| maa~ | माँ | 𑒧𑒰𑒿 |
| maM | मं | 𑒧𑓀 |
| om / OM | ॐ | कन्वर्टर में जाँचू |
| tr | त्र | कन्वर्टर में जाँचू |
| shri | श्री | कन्वर्टर में जाँचू |
| danda | । (दण्ड) | विराम चिह्न |
| || | ॥ (दोहरा दण्ड) | विराम चिह्न |
3. कठिन शब्द आ संयुक्ताक्षर
- पहिने शब्द के सही देवनागरी रूप लिखू; फेर तिरहुता में बदलू।
- संयुक्ताक्षर, हलन्त, मात्रा आ विराम-चिह्न वाला शब्द आउटपुट में ध्यान सँ जाँचू।
- जे शब्द सुझाव में नहि भेटय, ओकरा पूरा टाइप करू—सुझाव सूची शब्दकोश तक सीमित भऽ सकैत अछि।
- बहुत विशेष/पुरान/स्थानीय शब्द लेल देवनागरी पाठ paste कएनाइ उपयोगी होयत।
4. चन्द्रबिन्दु आ अनुस्वार
दुनू अलग चिह्न छथि; शब्द के सही रूप अनुसार चुनू।
उदाहरण: माँ में चन्द्रबिन्दु, आ मां लिखला पर अनुस्वार। ई उदाहरण चिह्न के अन्तर बुझबैत अछि—हर शब्द में दुनू एक-दोसराक बदला नहि चलैत अछि।
जँ सुझाव उपलब्ध हो, तऽ उचित रूप चुनू; नहि तऽ मूल देवनागरी पाठ में चिह्न ठीक कऽ कऽ रूपान्तरण करू।
5. अक्षर आ चिह्न खोजू
नीचाँ देल अक्षर पर क्लिक कएलासँ ओ खोज बॉक्स में जुड़त। ई सूची सहायता खोज लेल अछि; सम्पूर्ण तिरहुता यूनिकोड तालिका लेल अक्षर चार्ट खोलू।
6. अक्षर ठीक नहि देखाइ?
- Font विकल्प में Mithilauni आ Noto Sans Tirhuta बदलि कऽ देखू।
- ब्राउजर अपडेट करू; पन्ना फेर reload करू।
- अक्षर चौकोर दिखै तऽ उपकरण में तिरहुता font समर्थन नहि होय सकैत अछि।
7. मोबाइल पर उपयोग
- इनपुट बॉक्स में long-press कऽ paste करू।
- आउटपुट copy करबाक लेल पाठ चुनू; मोबाइल ब्राउजर के copy विकल्प उपयोग करू।
- बड़का पाठ के छोट-छोट भाग में जाँचब आसान होइत अछि।
8. परिणाम गलत हो तऽ की करी?
गलत रूपान्तरण वाला मूल शब्द, चुना गेल दिशा आ अपेक्षित रूप नोट करू। विशेष रूप सँ चन्द्रबिन्दु/अनुस्वार, संयुक्ताक्षर, स्थानीय शब्द आ मात्रा जाँचू। शब्दकोश में शब्द नहि रहला पर सुझाव नहि भेटब converter के त्रुटि होय जरूरी नहि—manual input सँ रूपान्तरण कऽ सकैत छी।